मकई व्यवसायी के गोली मारि कय डेढ़ लाखक लूट

    0
    289

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: बिहारक पूर्णिया मे बेलगाम अपराधी दिनदहाड़े एकटा व्यवसायी के गोली मारि कय डेढ़ लाख रुपैया लूटि लेलक अछि। घटना जिलाक मरंगा थाना क्षेत्रक हरदा बाजार के अछि। बताओल जा रहल अछि जे, अपराधी एकटा मकई व्यवसायी स पहिने डेढ़ लाख रुपैया लूटि लेलक आ जहन व्यवसायी विरोध केलक त व्यवसायी के हाथ मे गोली मारि कय फरार भय गेल।

    घटनाक जानकारी भेटतहि पुलिस मौका पर पहुंचि कय घायल व्यवसायी के अस्पताल मे भर्ती करौलक।परिजन के अनुसार हरदा बाजार स मकई के कारोबार कय घर आबि रहल व्यवसायी के पाछु पहिनहि सं अपराधी लागि गेल छल।

    हरदा बाजारक व्यवसायी घटना के बाद पुलिस सं सुरक्षा बढेबाक मांग कय रहल अछि। फिलहाल पुलिस मामलाक पड़ताल मे जुटि गेल अछि।