केस लिखबाक बदला मे घूस लैत दरोगा गिरफ्तार

    0
    284

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर के काजी मोहम्मदपुर थाना के दरोगा अरुणंजय कुमार के सोमदिन निगरानी टीम घूस लैत गिरफ्तार केलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे, दरोगा के दस हजार रुपैया घूस लैत निगरानी अन्वेषण ब्यूरो’क टीम मौका पर पकड़लक अछि, जाहि के बाद निगरानी टीम दरोगा के पटना लय गेल।

    सूत्रक अनुसार दरोगा 2009 बैचक अछि, जे मूल रूप स औरंगाबाद के रहय बला अछि। बताओल जा रहल अछि जे दरोगा बहुत दिन सं काजी मोहम्मदपुर थाना मे कार्यरत अछि। दारोगा के खिलाफ रीता देवी नामक महिला घूस मंगबाक शिकायत केने छल।

    रीता देवी मारिपीटक एफआईआर लिखेबाक लेल काजी मोहम्मदपुर थाना गेल छलीह, जतय दरोगा केस लिखबाक बदले घूस मंगने छल। सूत्रक अनुसार काजी मोहम्मदपुर सर्किल के इंस्पेक्टर पर्यवेक्षण कय आगुक कार्रवाई करबाक निर्देश देलक अछि।