दरभंगामे आए होएत महाराजा कामेश्वर सिंहकें प्रतिमा’क अनावरण

    0
    292

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: मंगलदिन कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय परिसरमे महाराजा कामेश्वर सिंह’क प्रतिमाक अनावरण कुलाधिपति रामनाथ कोविंद द्वारा कएल जाएत। राज्यपालक कार्यक्रमकें देखैत विश्वविद्यालय परिसर सजि-धजि कए तैयार अछि।

    सूत्रक अनुसार 12:25 मिनट पर राजकीय हेलीकॉप्टर सं राज्यपाल इंद्रभवन मैदानमे निर्मित हेलीपेड पर उतरि कए 12:40 सं 1:40 तक संस्कृत विश्वविद्यालयमे विभिन्न कार्यक्रममे भाग लेताह। अहिकें बाद ओ ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयके महात्मा गांधी सदन पहुंच कए 2:40 मिनट तक विश्राम करताह आ जलपानक बाद 2:55 बजे पटनाक लेल प्रस्थान करताह।

    दशकों सं प्रतिमा स्थापित करबाक चर्चा चलि रहल छल। प्रतिमा एलाक बादो बहुत बेर अनावरणक तिथि तय कएल गेल मुदा विभिन्न कारण सं अनावरण टलैत रहल। अहि बीच मंगलदिन अनावरण’क तिथि पुनः तय भेल। अहि बेर राज भवन सं जिला प्रशासनकें सेहो कार्यक्रमक डिटेल्स भेटि चुकल अछि आ सुरक्षाक लेल प्रशासनिक तैयारी चलि रहल अछि।