सात वर्षक बादो अधूरा पड़ल अछि सामुदायिक भवन

    0
    291

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक लदनियां प्रखण्ड क्षेत्रक सिधपा पंचायत स्थित परसाही गाममे डा. रामबहादुर सिंहकें दरबज्जा पर पूर्व विधान पार्षद स्व. ब्रह्मादेव नारायण सिंहक ऐच्छिक कोष सं लाखों रुपैयाक लागत सं निर्माण भए रहल सामुदायिक भवन स्थानीय क्षेत्र विकास अभियंत्रण संगठन मधुबनीके लापरवाहीकें कारण सात वर्षक बादो अधूरा पड़ल अछि।

    बेर-बेर ध्यानाकर्षण करेलाक बादो विभागीय कार्यपालक अभियंता सामुदायिक भवनक निर्माण काज पूरा करेबाक प्रति गम्भीर नहि अछि। एम्हर संवेदक सह सहायक अभियंता रामदरश सिंहक तबादला सेहो दोसर जिलामे भए गेल। भवन निर्माण काज पूरा नहि भेल सं स्थानीय लोकमे विभागीय अभियंताकें खिलाफ भारी असंतोष व्याप्त अछि।

    पूर्व विधान पार्षद स्व. ब्रह्मदेव नारायण सिंह वर्ष 2010-11मे सिधपा पंचायतक परसाही गाम स्थित डा. रामबहादुर सिंहक दरबज्जा पर सामुदायिक भवन निर्माण करेबाक अनुशंसा केने छलाह। जकर प्राक्कलित राशि 5 लाख 10 हजार रुपैया छल।