उगैत सूर्यकें अर्घ्य देलाक संग संपन्न भेल चैती छठि व्रत

    0
    259

    पटना, मिथिला मिरर: उदीयमान भगवान भाष्करकें प्रात कालीन अर्घ्य देबाक संग चारि दिवसीय लोक आस्थाक महापर्व चैती छठि आए संपन्न भेल। भोरे सं गंगा सहित विभि्न्न नदि, पोखरि, घरक छत पर जलकुंड बनाकए लोक भगवान भाष्करकें अर्घ्य देलक।

    पटनामे गंगाक घाट पर व्रति सभक बहुत भारी भीड़ रहल। लोक सब भोरे सं अर्घ्य देबाक लेल घाट पर पहुंच चुकल छल। किछु लोक त कैल्ह साँझ सं अस्ताचलगामी सूर्यकें अर्घ्य देबाक बाद घाट पर रुकल छलाह आ भोरमे अर्घ्य देबाक बाद घर वापस गेलाह।

    छठि पर्वक तेसर दिन रविदिन व्रति सब विभिन्न घाट पर डूबैत सूर्यकें अर्घ्यदान केलनि। अहि दौरान पटना सहित राज्यकें सब जिला आ शहरक तमाम छठि घाट पर आस्थाक सैलाब उमड़ल छल।