लूटक तीन घंटाक भीतर अपराधी संग रुपैया बरामद

    0
    294

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर पुलिस लूटक एकटा घटना के मात्र तीन घंटा के अंदर मामला के सुलझा लेबा मे कामयाब भय गेल। जिला के मुशहरी के नरौली मे बाइक सवार दू टा अपराधी एकटा  बुजुर्ग स दू लाख रुपैया लूटि लेने छल। घटना के तुरंत बाद सतर्क पुलिस दूनू अपराधी के गिरफ्तार कय लुटल गेल रुपैया मे सं एक लाख रुपैया बरामद कय लेलक अछि।

    पुलिस गिरफ्तार लुटेरा के संग सं एकटा पिस्टल आ लूट मे उपयोग कायल गेल मोटरसाइकिल बरामद केलक अछि। पुलिस के अनुसार नरौली के बुजुर्ग रमेश मिश्रा एसबीआई स रुपैया लय क बेटाक संग घर जा रहल छलाह, ताबेत मे अपराधी रुपैया लूटि कय फरार भय गेल।

    मुजफ्फरपुर सिटी एसपी आनंद कुमार कहलनि जे, बाकिक एक लाख रुपैयाक बरामदगी के लेल पुलिस अपराधी सं पूछताछ कय रहल अछि।