गंडक नदीक जलस्तर में बढ़ोत्तरी, दर्जनो गाम बाढ़िक चपेट मे

    0
    272

    हालात एतेक गंभीर बनल अछि, जकर अंदाज अहि बात स लगाओल जा सकैत अछि जे, बाईढ़ प्रभावित इलाका मे लोक छत पर बईस क राईत बितेबा लेल मजबूर छथि। कतेको गामक लोक के सरकार द्वारा विस्थापित कायल जा रहल अछि। पारिस्थितिक गंभीरता के देखैत बाईढ़ प्रभावित इलाका मे एडीआरएफ के तैनात कायल जा रहल अछि।

    सूत्रक अनुसार वर्तमान मे गंडक के पानि के डिसचार्ज 3 लाख 70 हजार क्यूसेक अछि। जाहि कारने सारण तटबंध और पतहरा तटबंध पर सेहो पानिक दबाब बनि रहल अछि, जाहि स बाईढ़ प्रभावित इलाका मे रहय बला लोक सभक परेशानी बढ़ि गेल छन्हि।