नितीश कुमार आय करताह बाईढ़ प्रभावित क्षेत्रक दौड़ा

    0
    280

    पूर्णियां, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नितीश कुमार आय कोसी आ गंडक सहित अन्य नदी के उफान स प्रभावित बिहारक बाइढ़ स ग्रसित क्षेत्रक हवाई सर्वेक्षण करताह। सूत्रक अनुसार बिहारक आठ गोट जिला पूर्ण रूप स बाढ़ि के चपेट में आईब गेल अछि, जाहि स लगभग एक दर्जन लोक के मौत भय गेल।

    जिला जनसंम्पर्क अधिकारीक अनुसार मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आय सीमांचल तथा पूर्णियां के बाईढ़ प्रभावित क्षेत्रक हवाई सर्वेक्षण करताह। सर्वेक्षण के बाद मुख्यमंत्री चूनापुर हवाई अड्डा पर जिला पदाधिकारी एवं अन्य अधिकारीगण के संग बैठक कय बाईढ़ राहत एवं बचाव कार्यक समीक्षा करताह।

    ज्ञात हो कि बिहार मे पिछला कई दिन स बाईढ़क कहर जारी अछि, सरकारी आंकड़ाक अनुसार एखन धरि तीन लाख लोग बाढ़ि स प्रभावित छथि। सूत्रक मानी त, एखन धरि सरकार द्वारा बाईढ़ मे फसल लोक के बचेबाक कोनो समुचित व्यवस्था नहि कायल गेल अछि। सीमांचलक अनेको तटबंध टुइट चुकल अछि आ किछु टुटबाक कगार पर अछि।

    अहि बीच नेता प्रतिपक्ष प्रेम कुमार कहलनि जे, मुख्यमंत्री के बाईढ़ मे फसल लोकक चिंता नहि ओ फिलहाल यूपी आ दिल्लीक दौरा कय रहल छथि। राज्य के मंत्रीक काफिला यूपी मे देखल जा रहल अछि, ओ कहलनि जे, मुख्यमंत्री के एखन बिहार स ज्यादा यूपीक चिंता छन्हि।