गैंगस्टर संतोष झा’क खुलासा, चिराग पासवान के बतौलनि मित्र

    0
    338
    संतोष आ हुनकर सहयोगी मुकेश पाठक के दरभंगा सिविल कोर्ट मे पेशी के लेल आनल गेल छल। ज्ञात हो कि संतोष बिहार पीपुल्स आर्मी लिबरेशन के मुखिया छथि। पेशीक दौरान पहल बेर संतोष अप्पन राजनीतिक रिश्ताक खुलासा करैत अप्पन राजनैतिक संबंधी सबहक नाम सेहो लेलाह।

    संतोष झा स्वं मीडिया स बातचीत मे कहलनि जे, हम राजनीति मे आबि कय लोकक सेवा करय चाहैत छी, राजनीति मे हमर संबंध लोजपा नेता आ सांसद चिराग पासवान स अछि। संतोष कहलनि जे, 2015 के विधानसभा चुनाव मे चिराग हमरा टिकट देबय बला छलाह मुदा एन वक्त पर सरकार हमरा झूठ-मुठक मुकदमा मे फसा देलक। संतोष आगू कहलनि जे, राजनीति मे हमर बहुत रास दुश्मनो अछि जकर नाम समय एला पर हम जरूर लेब।

    ओतहि, हालहिं मे गिरफ्तार भेल संतोषक सहयोगी मुकेश पाठक सेहो सरकार पर अप्पन भड़ास निकाललनि। मुकेश कहलनि जे, सरकार ब्राह्मण के झूठ-मूठक मुकदमा मे फंसा रहल अछि। हम बिलकुल निर्दोष छी।