8 नवंबर सँ शुरू होयत दरभंगा सँ हवाई सेवा, टिकट बुकिंग भेल शुरू

0
10727

दरभंगा/ दिल्ली, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी मौसम बनल जा रहल अछि। केंद्र आ राज्य सरकार चुनावी रंग मे रंगल उद्घाटन आ शिलान्यास कार्यक्रम मे लागल अछि। एहि बीच मिथिलावासी लेल एकटा सुखदगर खबरि अछि। दरभंगा सँ उडान सेवा 8 नवंबर सँ शुरू भ’ रहल अछि।  मिथिलाक एकटा बहुप्रतीक्षित माँग आब पूरा होइत देखना जा रहल अछि। दरभंगा एयरपोर्ट केँ चालू करबाक घोषणा त’ बहुत बेर भेल। मुदा हरेक बेर किछु ने किछु बाधा अबैत गेल आ तारीख पर तारीख वला हाल होइत चलि गेल। मुदा एहिबेर देल गेल समय सँ दरभंगा सँ उड़ान शुरू भ’ जायत। एहि लेल टिकट बुकिंग शुरू भ’ गेल अछि। जनतब दी जे नागरिक उड्यन मंत्री हरदीप सिंह पुरी पैछला 12 सितंबर क’ दरभंगा आबि हवाईअड्डाक निरीक्षण केने छलाह आ कहने छलाह जे नवंबर पहिल सप्ताह सँ हवाई सेवा शुरू भ’ जायत। जाहि यात्रा लेल टिकट बुकिंग सितंबर अंतिम सप्ताह सँ शुरू होयत।

जनतब दी जे 20 सितंबर सँ टिकट बुकिंग चालू भ’ चुकल अछि।  मालूम होयत जे अखनि दरभंगा सँ दिल्ली, मुंबई आ बेंगलुरु लेल हवाई यात्रा शुरू होयत। आ धीरे-धीरे अन्य महानगर लेल सेहो विमान सेवा शुरू कएल जायत। मालूम होयत जे 12 सितंबर क’ स्पाइसजेट एकटा विमान केँ उड़ा समय निर्धारण करबाक वास्ते निरीक्षण सेहो केने छल। आब मिथिलावासी दरभंगा सँ सीधे दिल्ली-मुंबई जा सकैत छथि। हवाई जहाजक किराया 3826 टाका सँ शुरुआत अछि, बांकी फ्लेक्सिबल रहत। पहिल उडान बेंगलुरु सँ भोर 8:45 बजे उड़त आ दरभंगा 11:15 बजे पहुँचत आ वैह विमान बेंगलुरु लेल 11:45 बजे उडान भड़त। ठीक ओहिना मुंबई सँ दरभंगा 12:10 बजे पहुँचत आ 12:45 बजे मुंबई लेल उडान भड़त। दिल्ली सँ 14:10 बजे उड़त आ दरभंगा 15:55 बजे पहुँचत आ पुन: ओ विमान दिल्ली लेल 16: 25 बजे उड़ान भड़त।

बतादी जे ट्रर्मिनल निर्माणक काज लगभग अंतिम चरण मे अछि। रनवे बनेबाक काज सेहो तीव्र गति सँ कएल जा रहल अछि। डीजीसीए सेहो उड़ान भरबाक लेल अनुमति द’ देलक अछि। दरभंगा सँ उडान सेवा शुरू भेला सँ मिथिला क्षेत्र मे रोजगारक अवसर सेहो बढ़त आ क्षेत्रक विकास सेहो होयत। सभसँ पैघ बात जे गाँधी सेतुक जाम सँ सेहो मुक्ति भेट जायत। उत्तर बिहारक करीब 16 जिला लेल हवाई सेवा बहुत सुलभ भ’ जायत।