मुजफ्फरपुरकेँ बोचहांमे 25 लाख’क शराब बरामद

    0
    280

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बोचहां थाना क्षेत्रक मोर चौमुख गाममे बोचहां थानाक पुलिस गुप्त सूचनाक आधार पर एकटा पिकअप वैन पर लादल 101 कार्टून विदेशी शराब बरामद केलक अछि। बाजारमे जब्द शराबक कीमत 25 लाख सं अधिक आंकल जा रहल अछि। अहि बाबत पुलिस हथौड़ी थानाके बेरई निवासी उमेश मंडलके पुत्र सुधीर मंडल आ बोचहां थानाके मोर चौमुख गाम निवासी शिवजी साहक पुत्र अनिल साहके खिलाफ प्राथमिकी दर्ज केलक अछि। ओतहि, अहि कारोबारमे संलिप्त अन्य अज्ञात आ पिकअप वैनक मालिक पर मामला दर्ज कराओल गेल अछि।

    बुधदिन देर राति एसएसपीकें गुप्त सूचना भेटल जे, इलाकामे पिकअप वैन सं शराब जा रहल अछि। निर्देश पर बोचहां थानाध्यक्ष धनंजय शर्मा पुलिस गश्ती वाहनके चालक सुनील कुमार व पुलिस बलके संग मोर चौमुख गाम पहुंचलाह। जतय एकटा लाल रंगक बोलेरोक संग वैनकें गाममे जाइत देखल गेल।

    जांचक लेल वैन पकड़बाक प्रयास कएल गेल, त बोलेरो सवार लोक फरार भए गेल आ वैन चालक सेहो गाड़ी ठाढ कय भागि गेल। पुलिस वैनक जांच केलक त ओहि पर 101 कार्टून शराब भेटल। पुलिस शराब कारोबारीके अलावा पिकअप वैन व बोलेरो सवार अज्ञात लोककेँ खिलाफ मामला दर्ज केय छानबीन शुरू कय देलक अछि।