देशक किछु हिस्सा मे बाढ़ि तँ मिथिला मे रौदीक पूर्ण आसार

0
145
Drought land against sunset background pattern nature.

मिथिल मिररः जतय देशक किछु हिस्सा मे बरखा आ बाढ़ि सँ जन-जीवन पूर्ण रूपेँ प्रभावित भऽ रहल अछि ततय पूरा बिहार मे रौदीक पूर्ण आसार देखना जा रहल अछि। हालांकि मिथिला क्षेत्रक स्थिति आओर बेसी भयावह बनल जा रहल अछि। लगातार मौसम विभाग बिहार सहित संपूर्ण मिथिला क्षेत्र मे बरखाक अनुमान लगा रहल अछि मुदा दैनिक रूपेँ मौसम विभागक अनुमान गलत सिद्ध भऽ रहल अछि।
प्रचंड रौदक कारणेँ लोककेँ दिन मे घर सँ बाहर निकलब मुश्किल भऽ रहल अछि। रौदक प्रभाव सँ जल स्तर एकबेर पुनः नीचा जा रहल अछि आ जल संकट एक बेर फेर सँ लोकक लेल मुसीबत बनल जा रहल अछि। गुमार आ उसम सँ लोककेँ दिनचर्या सेहो बेस प्रभावित देखना जा रहल अछि। मौसम मे भऽ रहल परिर्वतन सँ लोक सभ बिमार सेहो पड़ि रहल छथि, खास कऽ बच्चा सभक लेल ई मौसम बेस हानिकारक बुझना जा रहल अछि।