महागठबंधनमे शामिल भेलाह कुशवाहा, नीतीश पर सधलनि निशाना

0
703

दिल्ली, मिथिला मिरर : दिल्लीमे महागठबंधनक बैठक भेल, जाहिमे काँग्रेस सहित राजद, रालोसपा, आ शरद यादव शामिल भेलाह। आई विधिवत रुपें रालोसपा महागठबंधनक घटक दलक रूपमे शामिल भ’ गेल। हालाँकि पछिला दू सप्ताहसँ इ कयास लगाओल जा रहल छल जे एनडीए छोडलक बाद कुशवाहा लग कोनो दोसर विकल्प नै देखना जा रहल छलनि। एहनमे महागठबंधनसँ जुड़व हुनका फायदाक सौदा बुझना गेलनि आ आई शामिल भ’ गेलाह। रालोसपा प्रमुख उपेंद्र कुशवाहा महागठबंधनमे शामिल भेलाक बाद प्रेसवार्तामे कहलनि जे एनडीएमे हम अपमानित कएल जा रहल छलहूँ किया। मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकेँ इशारा पर हमर ताकतकेँ कमजोर कएल जा रहल छल। एहनमे अपमानक घूंट पीब हमसभ कतेक दिन धरि एनडीएमे रहितहूँ। कुशवाहा शिक्षामे आबि रहल गिरावटकेँ बहाने नीतीश कुमार पर सीधा हमला कएलनि। तेजस्वी यादवसँ बिहारक अरवलमे हमरा भेट अकस्मात भेल छल। एहि मुलाकातसँ पहिने कोनो प्लानिंग नै छल। ओहि समयमे हमरा मौनमे एनडीए छोड़बाक कोनो मंशा नहि छल। हालाँकि बिहारमे मुख्यमंत्रिक नाम पर पूछल गेल सवालसँ बचैत नजरि एलाह।

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीकेँ नाम लेने बिना कहलनि जे केंद्र सरकार अपन कएल गेल वादा पूरा नै क’ पाबि रहल अछि। प्रधानमंत्री पढ़ाई, कमाई, दवाई वला अपन वादा पूरा नै क’ सकल। एकटा सवालक जवाबमे कहलनि जे शिक्षाक क्षेत्रमे बिहार सरकारक जे काज अछि ओ भारत सरकार नै क’ सकैत अछि। तेजस्वी यादवक प्रशंसा करैत कहलनि जे शिक्षामे सुधारक दिशामे राजद भरपूर समर्थन द’ रहल छलथि। रालोसपा गुणवत्तापूर्ण शिक्षाक मादे डेढ़ सालसँ अभियान चला रहल छथि।

कुशवाहाकेँ महागठबंधनक सभ दल कएलनि स्वागत

बतादी जे उपेंद्र कुशवाहाक पार्टी रालोसपा आई महागठबंधनमे शामिल भ’ गेल, जेकरा महागठबंधनक सभ सहयोगि दल स्वागत कएलनि। संयुक्त प्रेसकांफ्रेंसमे कांग्रेसक नेता लोकनि एकर विधिवत एलान कएलनि। अहमद पटेल उपेंद्र कुशवाहाकेँ स्वागत कएलनि। शरद यादव, तेजस्वी यादव, जीतन राम माँझीक मौजूदगीमे कुशवाहा महागठबंधनमे शामिल भेलाह। हालाँकि एहि मीटिंगमे राहुल गाँधी नै शामिल भेलाह किएक त’ ओ तीन दिनक छुट्टी पर बाहर गेल छथि। मुदा एहि बैठकमे कांग्रेसी नेता अहमद पटेल आ बिहार कांग्रेस प्रभारी शक्ति सिंह गोविल शामिल भेलाह।