मारिपीटक खिलाफ सड़क पर उतरल व्यवसायी

    0
    346

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: कुढ़नी थानाक केरमा लालू चौक पर मारिपीट स आक्रोशित व्यवसायी अपन-अपन दोकान बंद कय सड़क पर उतरि गेल अछि। आरोपीक गिरफ्तारी के लेल केरमा लालू चौक पर टायर जराकय लगभग तीन घटा जाम कायल गेल। अहि संबंध मे पीड़ित दोकानदार संजय कुमार गामक राजनंदन पासवान, बुट्टन पासवान समेत पाच के खिलाफ पुलिस स शिकायत केलक अछि। अहि मे संचालक समेत दिलीप कुमार व प्रमोद कुमार स मारिपीट कय गल्ला स 17 हजार रुपैया व दोकान स 5 हजारक सामान लूटब, दोकान मे तोड़फोड़ करबाक आरोप लगाओल गेल अछि।

    बताओल गेल अछि जे, 31 जनवरी क आरोपी 11 बजे केरमा स्थित मिठाई दोकान पर आयल आ नाश्ता के बाद रुपैया कम देबाक विवाद मे होटल संचालक स कहासुनी केलक। अहि दौरान बीच-बचाव करय आयल संचालकक भाई दिलीप कुमार व रिश्तेदार प्रमोद कुमार के संग मारिपीट केलक। जाहि सं ओ जख्मी भय गेल। तीनेक इलाज पीएचसी मे कराओल जा रहल अछि। केरमा के कपड़ा व्यवसायी राकेश कुमार के अनुसार बिहार मे पूर्ण शराबबंदी के बावजूद केरमा मे पियक्कड़ द्वारा दोकानदार के संग मारिपीट व दु‌र्व्यवहार कायल जा रहल अछि। एम्हर, कुढ़नी थानाध्यक्ष रमण कुमार व्यवसायी के संग मारिपीट मे पांच गोटे के नामजद कायल गेल अछि।