मधुबनीक माड़र मे दीदी कयलक तीन वर्षीय बालिकाक गरदनि रेत हत्या

0
1644

मिथिला मिरर-स्नेहा झाः मधुबनी जिलाक रहिका प्रखंडक माड़र गाम सँ एक हृदय विदारक घटना आलोक मे आएल अछि। माड़र गामक पछवारि टोल स्थित ललन पासवानक बालिका राधिका कुमारीक गरदनि रेत कऽ हत्या कऽ देल गेल। एहि घटनाक प्रकाश मे अबिते चारूदिस चितकार पसरय लागल जे आखिर एहि मासूमक की दोख आ एहि अबोधक संग ककरा दुश्मनी भऽ सकैत छैक। घटना आओर बेसी परेशान करय बला तखन प्रतीत भेल जखन एहि बातक जानकारी भेटल जे बालिकाक हत्या ओकर पितियौत दीदी द्वारा कयल गेल।
जाहि बालिकाक गरदनि रेत कऽ हत्या कयल गेल ओकर मूड़न तीन दिन पहिने संपन्न भेल छल आ ओहि मूड़न मे बहुतरास पाहुन-परखसभ आयल छलथि। रविदिन जखन राधिका कुमारीक कोनो चहल-पहल अंगना मे नहि भेटल तखन परिवारक लोकसभकेँ शंका भेलनि आ ओकर बाद बालिकाक ताक-हाड़ होमय लागत ओ किशोरीकेँ तकबाक क्रम मे कतहु सँ एहि बातक जानकारी भेटल जे बालिका राधिका केँ ओकर पितियौत दीदी गरदनि रेत कऽ हत्या कऽ देलक आ बालिकाक शवकेँ ट्रंक मे नुका कऽ रखने अछि।
जखन परिजन सभ ट्रंक खोलिकऽ देखलनि तँ सभक होश उड़ि गेल। मृत अवस्था मे ट्रंक मे पड़ल बालिकाक गरदनि पर घावक निशान व्याप्त छल। घटनाक बाद ललन पासवानक घर पर पूरा गामक जुटानी भऽ गेल आ तकरा बाद ई खबरि आगिक पसाही जेना सौसे पसरि गेल। घटनास्थल पर पहुंचल रहिका पुलिस बालिकाक शव केँ पोस्टमार्टम लेल भेज देलक। संवाददाता सँ बातचीत करैत रहिका थानाध्यक्ष कहलनि जे आरोपी युवती बालिग अछि आ ओकरा सँ पूछताछ कयल जा रहल अछि जे आखिर एहन कोन कारण भेलै जाहिकेँ कारण तीन वर्षीय बालिकाक हत्या कऽ ओकर लाख केँ ट्रंक मे नुकाबय पड़ल। मामला चाहे जे भी हो मुदा एहि तरहक हृदय विदारक घटनाक बाद इलाक मे सभक मुँह ओहि किशोरीक लेल आह निकलि रहल अछि।