दरभंगामे ससुरक हत्या करय वला अपराधी हरियाणा सं गिरफ्तार

    0
    594

    दरभंगा, मिथिला मिरर: ससुरकें हत्या आ कनियाँकें चक्कू सं मारिकय घायल करए वला आरोपीकें दरभंगा पुलिस हरियाणा सं गिरफ्तार कए दरभंगा अनलक अछि, संगहि अस्पतालमे भर्ती कनियाँ सं बात करेला पर आरोपी अपन जुर्म कबुल केलक अछि।

    हायाघाट थाना रसुलपुर गाममे सब्जी बेचए वला मो. आफताब 18 अप्रैलक राति अपन ससुर मो. नवाजीकें चक्कू सं हत्या कए देने छल आ कनियाँ नविसा खातूनकें सेहो घायल कए देने छल। घायलक इलाज डीएमसीएचमे चलि रहल अछि। अपर पुलिस अधीक्षक दिलनवाज अहमद रविदिन अपराधीकें लए डीएमसीएच पहुंचलाह आ जुर्म कबुल करेलनि।