पार्षद रूबी मोदीक मौत, उठल कतेको सवाल

0
869

भागलपुर, मिथिला मिरर :  सोमदिन भागलपुर मेडिकल कॉलेज अस्पतालमे लगभग पांच बजे भागलपुरक वार्ड 51कें निगम पार्षद श्रीमती रूबी मोदी इलाजक क्रममे दम तोड़ि देलीह। शनिदिन पार्षद मॉस्किटो क्वायल खा लेने छलीह आ ओकर बाद गंभीर हालतमे हुनका इलाज लेल मेडिकल कॉलेज अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल छल। पार्षद रूबी मोदीक मौतक बाद घोघा पक्कीसराय निवासी हुनक पिता भागीरथ मोदी पुलिसके समक्ष अपन बयान देलथि जे हुनक नाती गोलू चारि अगस्तक राइतमे फ़ोन कॉल क’ बतेलनि जे माँ दवाइ खा लेलनि जाहि सँ हुनक मोन बेसिये खराब भ’ गेलनि आ हमसभ हिनका इलाजक लेल अस्पताल ल’ जा रहल छी। पाँच अगस्त क’ हम आबि बेटीसँ भेंट केने छलहुँ आ बातचीत सेहो भेल छल। ओहि दिन साँझमे हम वापिस आबि गेलहुँ  मुदा 6 तारिककें भोरमे फेर नाती फ़ोन केलक जे इलाजक क्रममे माँ आब नै रहलीह। जखन ओ अस्पताल एलाह त’ बेटीक मौत भ’ गेल छल। भागीरथ मोदी अपन बयानमे किनको पर आरोप नहि लगौलनि। सोमदिन पार्षद रूबी मोदीक शव अंतिम दर्शन लेल निगम मुख्यालयमे राखल गेल। मेयर, डिप्टी मेयर, नगर आयुक्त सहित पूरा निगम परिवार हुनक आत्माक शान्तिक लेल श्रधांजलि अर्पित केलक संगहि शोकक घोषणा केलक। बतादी जे अप्रैल महिनामे हुनक पति रवि मोदीक मौत भेलाक बादसँ हुनक मानसिक स्थिति ठीक नै छलनि, जकर इलाज चलि रहल छल। पार्षद रूबी मोदी अपना पाछाँ अपन दू टा बेटाकेँ छोड़ि गेलीह। जेठ बेटाक 16 साल आ छोट बेटा 10 सालक बताओल जा रहल अछि। पार्षद रूबी मोदी किएक जहर खेलीह एकटा पैघ सवाल ठाढ़ भेल अछि।