बिहार मे एनडीए केँ 30 सीट, केन्द्र मे भाजपा केँ स्पष्ट बहुमत नहि, एनडीए केँ सरकार बनेवाक जनादेश

0
36

मिथिला मिरर-दिल्लीः लोकसभा चुनाव 2024’क परिणाम आबि चुकल अछि। देश मे सत्ताधारी गठबंधन द्वारा ‘‘अबकी बार 400 पार’’ केर नारा ध्वस्त होइत गेल। स्थिति ई रहल जे दू बेर सँ पूर्ण बहुमतक सरकार बनेनिहार नरेन्द्र मोदीक अगुआइ मे एहि बेर भारतीय जनता पार्टी अपना दम पर 240 सीट जीत सकल जखन कि भाजपाक अगुआइ मे राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन केँ 292 सीट पर जीत आ बढ़त अछि। विपक्षी इंडिया ब्लाॅक केँ 233 सीट आयल अछि। भारतीय जनता पार्टी आ एनडीएक लेल सभ सँ खराब परिणाम उत्तर प्रदेश सँ आयल जाहिठाम पार्टी मात्र मात्र 33 सीट जीत सकल आ इहै कारण रहल जे पार्टी अपना दम पर पूर्ण बहुमतक आंकड़ा नहि जुटा सकल।
एहि चुनाव मे सभसँ खासबात ई रहल जे जतेक एग्जिट पोल आयल ओ सभटा हवा-हवाइ सिद्ध भेल आ उत्तर प्रदेश, महाराष्ट्र आ पश्चिम बंगाल मे मतदाताक मोन केँ पढ़वा मे कोनो सर्वे कंपनी सहि नहि भऽ पायल। हलांकि एनडीए केँ स्पष्ट बहुमत अवश्य भेटल अछि मुदा विपक्षी गठबंधन द्वारा एनडीएक घटक दल जदयू आ टीडीपीक नेता केँ अपना गठबंधन मे मिलेबाक कोशिश शुरू भऽ चुकल अछि।
बिहार मे एनडीए केँ 30 सीट भेटल जाहि मे भाजपा-जदयू केँ 12-12, लोजपा (रा.) केँ 5 आ जीतन राम मांझीक पार्टी हम केँ एक सीट भेटल जखन कि गठबंधनक एकटा अन्य पार्टी नेता उपेन्द्र कुशवाहा काराकाट सँ चुनाव हारि गेलाह।
एनडीए गठबंधनक जीतल उम्मीदवार पार्टीक हिसाब सँ
भाजपाः रविशंकर प्रसाद, राधा मोहन सिंह, डाॅ. संजय जयसवाल, गिरिराज सिंह, राजीव प्रताप रूडी, नित्यानंद राय, जनार्दन सिंह सिग्रीवाल, डाॅ. गोपाल जी ठाकुर, डाॅ. अशोक कुमार यादव, प्रदीप सिंह, विवेक ठाकुर आ राज भूषण चौधरी चुनाव जितबा मे सफल भेलाह।
जदयूः राजीव रंजन उर्फ ललन सिंह, दिनेश चंद्र यादव, कौशलेन्द्र कुमार, आलोक कुमार सुमन, सुनील कुमार, अजय कुमार मंडल, दिलेश्वर कामैत, गिरधारी यादव, देवेश चंन्द्र ठाकुर, रामप्रीत मंडल, लवली आनंद आ विजयलक्ष्मी देवी चुनाव जितबा मे सफल रहलीह।
लोजपा (रा.): चिराग पासवान, वीणा देवी, शाम्भवी चौधरी, राजेश वर्मा आ अरूण भारती चुनाव जितलनि।
हमः जीतन राम मांझी
महाठबंधनक खाता मे 9 आ पूर्णिया सीट निर्दलीय चुनाव लड़ल राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव चुनाव मे सफल रहलात।
राजदः मीसा भारती, सुधाकर सिंह, सुरेन्द्र प्रसाद यादव आ अभय कुमार सिंह चुनाव जितलाह।
कांग्रेसः मोहम्मद जावेद आ तारिक अनवर चुनाव जितलनि।
वामदलः सुदामा प्रसाद आ राजा राम सिंहक नाम शामिल अछि।