लोकसभा चुनाव 2024क मतदान संपन्न, एग्जिट पोल मे 400 पार एनडीए

0
27

लोकसभा चुनाव 2024क मतदान संपन्न, एग्जिट पोल मे 400 पार एनडीए
मिथिला मिरर-दिल्लीः लोकसभा चुनाव 2024क मतदान संपन्न भऽ गेल। सात चरण मे संपन्न भेल ई चुनाव 19 अप्रैल सँ 01 जून 2024 धरि चलल। हालांकि शुरूआत मे वोट प्रतिशत किछु कम रहल मुदा जेना-जेना मतदानक चरण आगू बढ़ल वोट प्रतिशत मे सेहो तेजी देखना गेल। लोकसभा चुनाव 2024 बहुत मायने मे स्मरण कयल जायत, खासकऽ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ रोकबाक लेल बनल इंडिया गठबंधन आ ओहि मे कखनो टूट तँ कखनो एक दोसराक संग राज्यबार गठबंधन आ लड़ाइ मुदा एहि सभकऽ बीच प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी 400 पार केँ नारा एकटा नव कौतुहलता लोकक बीच बढ़ा देलक।
पाँच चरण धरि मौन रहल विपक्ष अचानक 350 पार आ इंडिया गठबंधनक प्रधानमंत्री होयबाक जे अपील कयलक ओहो बहुत लोकक बीच कौतुहलताक विषय रहल। शांत पड़ल एहि चुनाव मे सत्ताधारी दलक 400 पारक लक्ष्य तँ दोसर दिस इंडियाक गठबंधनक मोदी सरकारक प्रति एकजुटताक बीच प्रशांत किशोर द्वारा एनडीए सरकारक वापसी आ योगेन्द्र यादवक ई दाबा मे ई सरकार पूर्ण बहुमत नहि पाओत सेहो चर्चा विषय रहल मुदा सभक नजरि एग्जिट पोल पर छल जे 01 जून कऽ समस्त एग्जिट पोल की कहैत अछि। तँ आउ देखल जाउ समस्त टीवीक आ अखबारक एग्जिट पोल आ ओहि मे मिथिला मिरर’क पोलओपोल…
स्रोत एनडीए आइएनडीआइए अन्य
एबीपी न्यूज
सी वोटर 353-383 152-182 4-12
इंडिया टूडे
एक्सिस माय इंडिया 361-401 131-166 8-20
इंडिया टीवी
सीएनएक्स 371-401 109-139 28-38
न्यूज 24
टुडेज चाणक्य 400 107 36
न्यूज नेशन 342-378 153-169 21-23
रिपब्लिक भारत
मैट्रीज 353-368 118-133 43-48
रिपब्लिक टीवी
पी मारक्यू 359 154 30
टाइम्स नाउ
इटीजी 358 152 33
टीवी 9 भारतवर्ष
पोलस्टर 342 166 35
इंडिया न्यूज
डी डायनामिक्स 371 125 47
जन की बात 362-392 141-161 10-20
दैनिक भास्कर 281-350 145-201 33-49
मिथिला मिरर पोल आॅल पोल 365 146 32