शिक्षा विभागक शिथिलता सं शिक्षकमे आक्रोश व्याप्त

    0
    289

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिला प्राथमिक शिक्षक संघकें सभागारमे रविदिन संगठन सं जुडेल शिक्षकक बैसक कएल गेल। बैसकमे संगठनकें सक्रिय शिक्षक, चारि वर्षक सेवा अवधि पूरा कय चुकल स्नातकोत्तर योग्यताधारी शिक्षक व सांगठनिक पदाधिकारी भाग लेलनि। संगठनके प्रधान सचिव अनिल कुमार जिला शिक्षा विभागक अकर्मण्यता व लाल फीताशाही पर आक्रोश व्यक्त केलनि। अहि क्रममे लोकके संबोधित करैत ओ कहलनि जे, बिना कोनो कारण बतेने स्थापना समितिके दू गोट निर्धारित बैसककें स्थगित कय शिक्षककें हक सं वंचित कएल जा रहल अछि।

    ओ कहलनि जे, अहि सं आहत भय जिलाक शिक्षक आंदोलनात्मक कार्रवाई करबाक लेल विवश अछि। ओतहि वक्ता कहलनि जे, जिला शिक्षा पदाधिकारीक शिथिलताके कारण शिक्षक अप्पन वाजिब हक सं वंचित भय रहल अछि। ओ कहलनि जे, यदि 27 फरवरी तक बैसक कय प्रोन्नति संबंधि सब काज पूरा नहि कएल जाइत अछि त संगठनके नेतृत्वमे एकटा प्रतिनिधिमंडल जिला शिक्षा पदाधिकारी सं भेंट करत आ आंदोलनक आगुक रूप-रेखा समर्पित कएल जाएत।

    मौका पर बैजू राय, देवेन्द्र प्रसाद चौधरी, कृष्ण कुमार, अखिलेश कुमार सिंह, नवीन कुमार राय, रामसुदीन सिंह, धर्मनाथ चौधरी, मनोज कुमार आदि शिक्षक उपस्थित छलाह।

    फोटो: काल्पनिक