एक दशक सं अधरमे लटकल सड़क निर्माण

    0
    302

    मधुबनी, मिथिला मिरर: एनएच 104 एवं 105कें जोड़य वला एकटा महत्वपूर्ण सड़कक निर्माण एक दशक सं अधरमे लटकल अछि। जनप्रतिनिधीक उपेक्षापूर्ण रवैया एवं प्रशासनिक उदासीनताकें कारण सड़क निर्माण लंबित अछि। जयनगर नगर पंचायतकें अधीन अवस्थित ई सड़क अप्पन बदहाली पर कानि रहल अछि। सड़कक बदहाली नगर पंचायतकें वार्ड नं. 10, 03 एवं 04मे रहय वला लोके टाक लेल नहि बल्कि पूरा अनुमंडलवासीकें लेल महत्वपूर्ण अछि।

    जयनगर अवर निबंधन कार्यालय सं आनन्दपुर युनियन टोल होईत नेपाली रेल गुमटी धरि जाए वला ई सड़क वायपास सड़कके रूपमे चिह्नित अछि। मुदा उक्त सड़कक निर्माण कार्य प्रशासनिक लापरवाहीकें कारण एक दशक सं लंबित अछि।

    नगर पंचायत प्रशासनकें वर्ष 2006 मे सीमा सड़क योजनाक तहत 01 करोड़ 76 लाख रुपैया उपलब्ध कराओल गेल। उक्त राशि सं नगर पंचायतकें 20 गोट सड़कक निर्माण करेबाक स्वीकृति प्रदान कएल गेल। जाहिमे उक्त वायपास सड़कक निर्माणक प्रक्रिया प्रारंभ कएल गेल। सड़क निर्माणमे अनियमितता बरतबाक कारण तत्कालीन जिला पदाधिकारी नगर पंचायत प्रशासन एवं अभिकर्ता पर प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि।