चुनाव आयोगक निर्देश, 10 हजार नगद आ 28 लाख टाका सँ बेसी नहि खर्च क’ सकैत छथि उम्मीदवार

0
591

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे होई वला आगामी विधानसभा चुनाव केँ ल’ चुनाव आयोग उम्मीदवार लोकनि लेल खर्चक सीमा तय क’ देलक अछि। कोरोना काल मे होमय जा रहल चुनाव केँ दौरान कोरोना संबंधित गाइडलाइन केँ अक्षरशः पालन करै पड़तनि।  चुनाव आयोग के बैसार मे एहि सँ संबंधित बहुत रास निर्णय लेल गेल। दोसर दिस उम्मीदवार कतेक खर्च  क’ सकैत छथि एकरो निर्धारित क’ देल गेल। आब कोनो प्रत्याशी चुनाव प्रचार केँ दौरान दस हजार टाका नकद आ 28 लाख सँ बेसी खर्च नै क’ सकैत छथि। पहिने अनुमान कएल जा रहल छल जे चुनावी खर्चक सीमा बढाओल जा सकैत अछि।

एतबे नै कोनो भी आपात स्थिति सँ निपटबा लेल गया आ पटना एयरपोर्ट पर इनकम टैक्स विभागक एयर इंटेलिजेंस यूनिट तैनात रहत। एही संबंध मे सभ जिलाक निर्वाचन अधिकारी केँ दिशा निर्देश सेहो जारी क’ देल गेल अछि।  एहिबेर खर्च पर विशेष ध्यान राखल जायत ताकि कोनो उम्मीदवार जनता केँ कोनो तरहक आर्थिक प्रलोभन नै द’ सकैछ। एहन देखबा मे अबैत छल जे चुनाव मे अनर्गल खर्चा कएल जाइत अछि आ जनताक मत खरीदबाक शिकायत सेहो अबैत छल।

ओतहि बिहार मे कोरोना काल मे भ’ रहल चुनाव मे विशेष सतर्कता बरतल जाओत। एहन मतदाता जे कोरोना संक्रमित भेल छथि वा कोरोना सँ संक्रमित छथि हुनका सभसँ अंत मे मौका देल जेतनि। एहन व्यवस्था कएल जा रहल अछि ताकि सामान्य लोक एही सँ  प्रभावित नै होईथ। एहन वोटर के वोटर लिस्ट सेहो अलग सँ तैयार कएल जा रहल अछि।

चुनाव प्रणालीक इतिहास मे एहन पहिल बेर कएल जा रहल अछि। पहिल बेर सभ विधानसभा क्षेत्र मे अलग सँ कोविड-19 कोषांगक गठन कएल गेल अछि। प्रत्येक कोषांग केँ जिम्मेवारी देल गेल अछि जे अपन-अपन विधानसभा क्षेत्र मे कोरोना पॉजिटिव या संदिग्ध रोगिक सूची संबंधित मतदान केंद्र पर दैथ। ओना जिला स्तर पर सेहो एकर सूची बनाओल जा रहल अछि।