जयनगर जनकपुर कुर्था रेल खंड पर परीक्षण शुरू, आब जल्दिए शुरू होयत रेल सेवा

0
1374

मधुबनी, मिथिला मिरर : मिथिलावासी लेल एकटा आओर सुखदगर खबरि अछि। आवान परिवर्तनक बाद जयनगर जनकपुर कुर्था 45 किमी. नव रेल लाइन करीब एक साल सँ बनि क’ तैयार छल। मुदा नेपाल सरकारक उदासीनताक चलते चालू नै भ’ रहल छल। मुदा आब एही पर सँ ग्रहण हटैत देखना जा रहल अछि। अंततः आई एहि रेल खंड पर ट्रेन चालू करबा सँ पूर्व ट्राईल शुरू कएल गेल अछि। समस्तीपुर रेल डिविजन सँ ट्रेनक बोगी आ इंजन सभ जयनगर स्टेशन पहुँच चुकल छल। आई सँ ट्राईल चालू कएल गेल आ अगिला तीन दिन धरि लाइन केँ जाँचल परखल जायत। जनतब होयत जे ई नेपालक पहिल ब्रॉड गेज लाइन अछि जे भारत सरकारक सहयोग सँ बनल अछि। करीब 200 करोड़ केँ लागत सँ बनल ई रेल खंड रेल परिचालनक बात जोही रहल छल।

बतादी जे भारत सरकार जयनगर जनकपुर कुर्थाक बीच दूटा डीएमयू ट्रेन देलक अछि। चेन्नई मे बनल ई डीएमयू ट्रेन ब्रॉड गेज लेल सभसँ बेसी सुरक्षित मानल जाइत अछि। आधुनिक साज सज्जा सँ बनल एहि ट्रेन सँ करीब 13 सौ यात्री यात्रा क’ सकैत छथि। एहि ट्रेन मे बेसी कुर्सीयान अछि आ पूर्णतया वातानुकूलित सेहो अछि।

करीब 8 साल सँ ट्रेन परिचालनक लोक सभ बात जोही रहल छलाह। नेपाल सरकारक उदासीनता केँ कारण एहि रेलखंड केँ चालू होमय मे एतेक समय लागल। आब उम्मीद कएल जा रहल अछि जे ट्रेनक परिचालन जल्दिए शुरू होयत। ताकि दुनू पारक मिथिलावासी केँ एकबेर फेर सँ अपन सर-संबंधी लग जेबा मे कोनो तरहक दिक्कत नै होइन। बतादी जे भारत आ नेपाल के बीच खास क’ मिथिला क्षेत्र मे बेटी-रोटीक संबंध अछि। दुनू भगाक मिथिला के संस्कार आ संस्कृति एके अछि।