35 लाख खर्च’क बावजूद एक बूंद पानि नहि

    0
    270

    मधुवनी, मिथिला मिरर: प्रखंड कार्यालय परिसर स्थित जलमीनार बेकार साबित भए रहल अछि। पिछला चारि वर्ष पूर्व बनिकय तैयार अहि जलमीनारकें विभागीय लापरवाहीक कारण एखनधरि चालू नहि कराओल गेल अछि। जाहि सं ग्रामीणक बीच आक्रोश बढ़ि रहल अछि। ओतहि ग्रामीण जलापूर्ति हेतु बनल अहि जलमीनारकें देखिकय लोक एकरा सरकारी छलावा बता अपन तामसक इजहार करैत अछि।

    ज्ञात हो कि ग्रामीण जलपूर्तिके उद्देश्य सं बनल अहि जलमीनार पर करीब 35 लाख रुपैया खर्च कएल गेल मुदा एकर उपयोगिता पर ग्रहण लागल अछि। हद त ई अछि जे, बनिकय तैयार अहि जलमीनार कहिया पानि देत ई कहब मुश्किल अछि। जलमीनार अतिक्रमणक कारने उद्घाटनक पूर्व क्षतिग्रस्त होबय लागल अछि। समय रहैत यदि विभाग अहि दिस ध्यान नहि देत त भविष्यमे जलापूर्ति योजनाक लेल बनल ई जलमीनार शोभाक वस्तु बनल रहत।

    बीडीओ शिवशंकर राय कहलनि जे, विभागीय लापरवाहीके कारण एखनधरि एकरा चालू नहि कएल गेल अछि। पीएचइडीके अधिकारी कहलनि जे, मामलाक जानकारी लेल जा रहल अछि। जलमीनार शीघ्र चालू कराओल जाएत। एकरा चालू करेबाक लेल बहुतो बेर स्थानीय जनप्रतिनिधी एवं आम जनता द्वारा लिखित रूप सं डीएम सं अनुरोध कएल गेल अछि।