क्लिनिक सं चोराओल गेल बच्चा बरामद

    0
    262

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर जिलाक अहियापुर थाना क्षेत्रक डॉ. राजीव कुमार के क्लिनिक स चोरी भेल बच्चा के पुलिस बरामद कय लेलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे, बच्चा के बरामदगी के लय पुलिस भले ही अप्पन पीठ थपथपा रहल अछि, मुदा बच्चाक बरामदगी नरहा गामक निवासी पार्वती देवी केलनि।

    ज्ञात हो कि पुलिस मौका पर पहुँचि कय बच्चा के बरामदगी कय लेलक अछि। बच्चा सं पूछताछ मे पता चलल जे, बच्चा के चोराबय बाली महिला पेशावर अछि आ ओ दू साल पहिनहु एकटा बच्चा चोरौने छल।