शराबबंदी पर कहलनि नीतीश, बहुत मोन करैया त लाइट बंद कय जूस पीबू शराबक आनंद भेटत

    0
    270

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शराब पीबई बला के एकटा रोचक सलाह देलनि। मंगदिन शराबबंदी पर रूरल मेडिकल प्रैक्टिशनर ट्रेनिंग मे मुख्यमंत्री कहलनि जे किछु लोक शराबबंदी स बहुत बेचैन छथि। ओ सब घर मे लाइट बंद कय जूस पीबथि, शराबक आनंद भेटतनि।

    मुख्यमंत्री  जे, बिहार स शुरू भेल शराबबंदीक सिलसिला रुकय बला नहि अछि। सरकार के शराब स पांच हजार करोड़क आमदनी होइत छल, मुदा आब शराबबंदी स लोक के 10 हजार करोड़ रुपैया बचि रहल अछि। लोक अहि रुपैया के नीक भोजन आ नीक कपड़ा पर खर्च कय रहल छथि।

    ओ कहलनि जे, शराबबंदी स सब सं अधिक शराब माफिया परेशान अछि। आब दोसर राज्य मे शराबबंदीक मांग उठि रहल अछि। यदि शराब समुच्चा देश बंद भय जायत त शराब माफिया के लाखो करोडो के धंधा बंद भय जायत।

    ओ कहलनि बिहार मे शराबबंदी लागू कय हमरा जे संतोष भेटल, ओ विधायक, सांसद, केंद्रीय मंत्री या मुख्यमंत्री बनि कय नहि भेटल।