22 महिनाक बाद बेउर जेल सं रिहा भेलाह बाहुबली विधायक अनंत सिंह

    0
    303

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक बाहुबली नेता आ मोकामा सं निर्दलीय विधायक अनंत सिंहकें शनिदिन बेउर जेल सं रिहा कए देल गेल। जेल सं निकललाक बाद अनंत सिंह कहलनि जे, हम 22 महिना सं जेलमे छलहुँ। ओ कहलनि जे, एखन हम जेल सं बाहर एलहुँ लोक सब सं भेंट केलाक बाद मीडिया सं बात करब। महागठबंधन सरकार पर सवालक जबाबमे किछु बाजए सं ओ मना कए देलनि।

    रिहाईके बाद अविधायक अपन समर्थकके  काफ़िलाक संग अपन पटना आवास पर पहुंचलाह आ ओतए सं सीधे बाढकें लदमा गामक लेल रवाना भेलाह। ज्ञात हो कि शुक्रदिन कोर्ट अनंतकें पूर्व मुख्यमंत्री जीतनराम मांझी सं जुडल एकटा मामलामे राहत डाइट जमानत देने छल।

    अनंत सिंहके खिलाफ 16 फरवरी 2015 कए पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझीक भगिन उपेंद्र मांझी प्राथमिकी दर्ज करेने छल। जाहिमे कहल गेल छल जे, 11 फरवरी, 2015 कए एकटा राष्ट्रीय न्यूज चैनल पर मोकामा विधायक अनंत सिंह बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझीकें नीचा देखेबाक आ प्रताड़ित करबाक उद्देश्य सं हुनका लेल अपशब्द कहने छल।