विधानसभा स्थगनकें प्रस्ताव देलनि संजय सरावगी

    0
    471

    दरभंगा, मिथिला मिरर: राज्य सरकार द्वारा विधुत दरमे अप्रत्याशित वृद्धि करबाक फैसलाक कारण भारतीय जनता पार्टीक दरभंगा सं विधायक संजय सरावगी आय विधानसभामे कार्यस्थगनकें प्रस्ताव देलनि अछि।

    संजय सरावगी बिहार विधानसभा सचिवकें लिखल पत्रमे कहलनि जे, बिहार विधानसभाकें प्रक्रिया एवं कार्य संचालनकेँ नियमावली 98कें तहत 25 मार्च कए कार्य स्थगणकेँ प्रस्ताव दए रहल छी। ओ आगू लिखलनि जे, राज्यमे विधुत दरमे अप्रत्याशित वृद्धिकेँ कारण उत्पन्न स्थितिकें कारण विधानसभा स्थगन पर विमर्श हेबाक चाही।