आंगनबाड़ी केंद्र खाली करेबाक लेल पहुँचल पुलिस आ ग्रामीणक बीच झड़प

0
490

दरभंगा, मिथिला मिरर : हायाघाट थाना क्षेत्रक घोसरामा गाम स्थित आंगनबाड़ी केंद्र संख्या 6 पर तखन अफरा-तफरी मचि गेल। जखन थानाध्यक्ष दिलीप कुमार पाठक अपन दल-बलक संग एहि केंद्रकेँ खाली करेबाक लेल पहुँचला। तखन एकर विरोधमे स्थानीय लोकसभ  एकजुट भ’ गेलाह आ देखिते-देखिते पूरा इलाका रणक्षेत्रमे बदलि गेल। पुलिस अपन बचावमे  बल प्रयोग कएलक जकर जवाबमे ग्रामीण सभ सेहो पुलिस पर पथराव कएलक। मौका पर मौजूद महिला पुलिस कर्मी अपन जान बचेबाक लेल श्रवण सिंहकेँ घरमे शरण लेलनि। स्थिति बिगड़ैत देख बीडीओ राकेश कुमार, सीओ विमल कुमार कर्णकेँ अलावा लहेरियासराय थानाध्यक्ष सह इंस्पेक्टर रामकिशोर शर्मा, सदर इंस्पेक्टर शिवमुनि प्रसाद, बहादरपुर थानाध्यक्ष राजनारायण सिंह, एपीएम थानाध्यक्ष शिव कुमार प्रसाद, बिशनपुर थानाध्यक्ष, फेकला ओपी आ पतोर ओपी थानाध्यक्ष धीरेंद्र सिंह सहित वज्र वाहन व रैपिड एक्शन फोर्स पहुँचल। बताओल जा रहल अछि जे किछु स्थानीय लोकसभ अवैध रूपसँ आंगनबाड़ी केंद्र पर कब्जा क’ लेने अछि। 29 अगस्त बुधदिन जखन हायाघाट पुलिस प्रभारी सीआई सिहेश्वर सिंह आ अंचल अमीन रतन कुमार कर्णके संग पहुँचलाह, लोकसभ विरोध करय लगलाह। जँ थानाध्यक्ष श्री पाठकके मानी त’ नथुनी पासवान अपना ऊपर मटिया तेल छिड़कि अपन देहमे आगि लगेवाक कोशिश केलनि जकर बाद पुलिस हुनका अपन कब्जामे ल’ लेलक। जखन पुलिस हुनका साथ ल’ निकलि रहल छल तखने पुलिस आ स्थानीय लोकक बीच धक्का-मुक्की होमय लागल। एहि बीच कुनो आदमी आंगनबाड़ी केंद्रक सामने स्थित एकटा खोपड़ीमे आगि लगा देलक। संगहि महिला पुलिसक संग आक्रोशित लोकसभ धक्का-मुक्की केलक। घटनाक सूचना आगि जेना पूरा गाममे पसरि गेल। एमहर घायल नथुनी पासवानके कहब छनि जे पुलिस ताबड़तोड़ हुनका पर लाठी बरसोलनि, जाहिसँ ओ चोटिल भ’ गेलाह। बीडीओ श्री कुमार बहूत मशक्कतकेँ बाद चोटिल नथुनी पासवानकेँ अपन गाड़ीमे बैसा पीएचसीमे भर्ती करौलनि। सीओ विमल कुमार कर्ण कहैत छथि जे ई मामला सीडब्ल्यूजेसीसँ संबंधित अछि।