बाढिग्रस्त बिहार के केंद्र सं एखन धरि कोनो मदद नहि: लालू यादव

    0
    284

    पटना, मिथिला मिरर: राष्ट्रीय जनता दल के राष्ट्रीय अध्यक्ष लालू प्रसाद शुक्रदिन केंद्र सरकार पर निशाना साधैत कहलनि जे, जम्मू एवं कश्मीर मे बाढ़ि आयल त प्रधानमंत्री आर्थिक मदद केलनि मुदा बिहार के बाढ़ि हुनका नजरि नहि आबि रहल छन्हि। ओ कहलनि जे केंद्र स बिहार के एखन धरि बाढ़िक नाम पर कोनो तरहक सहायता नहि भेटल।

    लालू यादव पटना मे संवाददाता स बातचीत मे कहलनि जे, केंद्र सरकार बिहार मे बाढ़ि एलाक बाद राहतक लेल की मददि केलक ई लोक के बतेबाक चाही।

    बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री कहलनि जे, बाढ़ि अभिशाप अछि त बारदानों अछि। उल्लेखनीय अछि कि तीन दिन पहिने लालू प्रसाद बाढ़ि पीड़ित स भेंट कय कहने छलाह जे, “अहाँ सभक सौभाग्य अछि जे गंगा मइया अहाँक दरबज्जा पर एलीह।”