जापानक राजदूत केलनि ‘सुपर 30’ के दौरा

    0
    319

    पटना, मिथिला मिरर: भारत मे जापान के राजदूत केंजी हीरामत्सु शुक्रदिन भारतीय प्रौद्योगिकी संस्थान (आईआईटी) प्रवेश परीक्षा’क तैयारी कराबय बला चर्चित संस्थान सुपर 30 के दौरा केलनि आ संस्थानक संस्थापक आनंद कुमार तथा छात्र सब सं भेट केलनि। अहि दौरान हीरामत्सु के संग हुनकर पत्नी पैट्रीसिया क्लारा हीरामत्सु आ जापानी दूतावास के प्रथम सचिव रीयोसकी कामोनो सेहो मौजूद छलाह।

    ओ कहलनि जे, प्रतिभावन छात्रक लेल तकनीकी शिक्षा ग्रहण करबाक लेल जापान मे काफी मौका अछि।टोक्यो विश्वविद्यालय सुपर 30 के छात्र के पहिनहि उच्च तकनीकी शिक्षाक लेल आमंत्रित कय चुकल अछि। संस्थानक अधिक स अधिक छात्र के उच्च तकनीकी शिक्षाक लेल जापान ऐबक चाही।

    जापानक राजदूत के सुपर 30 पहुंचला सं अभिभूत आंनद कहलनि जे, एहेन लोक के संस्थान मे एला सं हमर मनोबल बढ़ैत अछि। उल्लेखनीय अछि जे, जापानक एनएचके चैनल सुपर 30 पर एकटा फिल्म बना चुकल अछि। सुपर 30 मे आर्थिक रूप सं कमजोर बच्चा के आईआईटी प्रवेश परीक्षाक नि:शुल्क तैयारी कराओल जाइत अछि।