बाढ़ि मे प्रसव पीड़ा सं परेशान महिलाक मददि के लेल पहुचल एनडीआरएफ के टीम

    0
    273

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे आयल विनाशकारी बाढ़िक कहर लगातार जारी अछि, अहि बीच एनडीआरएफ के टीम लगातार लोकक मददि के लेल जी जान सं काज कय रहल अछि। सूत्रक अनुसार एखन धरि ई टीम लगभग 14 हजार लोक के बाढ़ि प्रभावित इलाका सं निकालि कय सुरक्षित स्थान धरि पहुचेबा मे सफल रहल अछि। बुधदिन टीमक रेस्क्यू पटना जिलाक अथमलगोला, मोकामा के इलाके में जारी अछि।

    एनडीआरएफ टीम पटना सं सटल अथमलगोला इलाका मे बाढ़ि मे फसल एकटा गर्भवती महिला के निकाली कय समय पर अस्पताल धरि पहुँचौलक। महिला प्रसव पीड़ा आ दर्द सं कानि रहल छली। महिला के टीमक जवान पहिने बोटक मददि सं पानि स बाहर निकाललनि आ फेर बाढ़ि ग्रस्त इलाका स निकालि कय अस्पताल पहुँचौलक।

    एनडीआरएफ के मददि सं महिला के सुरक्षित प्रसव के लेल अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल।एनडीआरएफ टीमक बहुतो कंपनी बिहार मे बाढ़ि सं प्रभावित 12 टा जिला मे काज कय रहल अछि।