जमुई सऽ चुनवी रैलीक शुभारंभ कएलनि पप्पू यादव, कहलनि जऽ मौका भेटत तऽ नक्सली समस्या केँ करब समाप्त

0
745

पटना, मिथिला मिररः जन अधिकार पार्टी (लोकतांत्रिक) केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष तथा पूर्व सांसद पप्पू यादव जमुई सऽ बिहार विधानसभा चुनावक विधिवत प्रचार अभियान शुरू कए देलनि। शनिदिन राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव जनताक मध्य जा बिहार विधानसभा चुनाव मे पार्टीक पक्ष मे वोट देबाक आह्वान कएलनि। चुनावी रैली मे पप्पू यादव केँ आम लोकक अपार समर्थन भेट रहलनि अछि। जाहि तरहेँ पप्पू यादव पैछला किछु साल सऽ लगातार जनताक मध्य जा हुकना लोकनिक समस्या केँ सुनि रहल छथि ओकर असर एहि वृहत रैली मे स्पष्ट देखना जा रहल छल। ज्ञात हो जे जन अधिकार पार्टी 94 गोट उम्मीदवारक प्रथम सूची जारी कए देलक अछि आ ओकरा बाद संबंधित उम्मीदवारक संग-संग पार्टी सेहो चुनाव प्रचार मे जी-जान जुटल देखना जा रहल अछि।
पप्पू यादव कहलनि जे बिहारक जनता पैछला तीस साल मे लालू ओ नीतीशक शासन सऽ परेशान भऽ चुकल अछि। जनता केँ विकल्प चाही आ जल्दीये बिहार दुनू भाइ सऽ फारकति पाबए चाहैत अछि। पप्पू कहलनि जे जन अधिकार पार्टी ई संकल्प लेलक अछि जे बिहाकर त्राहिमाम कऽ रहल जनता केँ शीघ्रहि लालू-नीतीशक शासन सऽ छुटकारा दिया कऽ चैनलक सांस लेत। जाप अध्यक्ष कहलनि जे बिहारक जनता केँ शासक नहि चाही ओकरा एहन बेटा चाही जे ओकर सुख-दुःख मे संग ठाढ़ रहए। इहै कारण छैक जे बिहारक जनताक हृदय मे जाप अपन जगह बना लेलक अछि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर निशाना साधैत पप्पू यादव कहलनि जे नीतीश कुमार दलित, पिछला, अकलियत सहित अतिपिछड़ा समाजक सभ सऽ बेसी नुकसान कएलनि अछि। चिराग पासवानक बचाव करैत पप्पू यादव कहलनि जे जाहि तरहें जदयू द्वारा चिराग पासवान पर निशाना साधल जा रहल अछि ओ दुर्भाग्यपूर्ण अछि। रोड शो के बाद पप्पू यादव कहलनि जे जऽ जमुई केँ जनता जाप केँ मौका देत तऽ ओ नक्सली समस्या केँ तीन मासक भीतर समाप्त कऽ लोकक मोन सऽ डर केँ समाप्त कए देताह।