दरभंगा मे दू समुदायक बीच झड़प, पुलिसकर्मी सहित दर्जनों घायल

    0
    254

    दरभंगा, मिथिला मिरर: भूमि विवादक मामला मे आय भोर मे दू गोट समुदायक बीच भेल झड़प हिंसक रूप लय लेलक। जाहि मे एकटा समुदायक लोक दोसर समुदायक लोकक घर पर लाठी डंडा बरसौलक। जाहि मे बहुतो लोक घायल भय गेल अछि। घटना दरभंगा जिलाक एपीएम थाना क्षेत्रक चंदनपट्टीक चंचल नगर इलाकाक अछि, जतय शनिदिन भोरे विवाविद जमीनक घेराबंदीक विरोध करय पर एक समुदाय विशेषक लोक लाठी डंडा स दलित वर्गक एक दर्जन स अधिक घर पर हमला कय देलक।

    हमलावर घर मे घुसि कय लोकक संग मारिपीट केलक। घर पर रोड़ेबाजी केलक। घटनाक पता चलला पर बीच-बचावक लेल आयल ओपी अध्यक्ष संतोष कुमार सेहो चोटिल भय गेलाह। अहि रोड़ेबाजी व हमला मे एक दर्जन स अधिक लोक जख्मी भय गेल अछि। घायलक इलाज बहादुरपुर पीएचसी मे करोल जा रहल अछि।

    अहि घटनाक बाद चंचल नगर मे तनाव उत्पन्न भय गेल सदर एसडीओ डॉ. गजेंद्र प्रसाद सिंह व एएसपी दिलनवाज अहमद के नेतृत्व मे घटनास्थल पर पुलिस कैंप कय रहल अछि।