रंगदारीक खिलाफ एफआईआर पर घर मे घुसि कय मारलक गोली

    0
    269

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर मे शुक्रदिन अपराधी एकटा युवक के दिनदहाड़े गोली मारि कय हत्या कय देलक। घटना मुफ्फसिल थाना क्षेत्रक विवेक बिहार कॉलोनीक अछि, जतय अपराधी बलिराम भगत महाविद्यालय के कर्मी पवन झाक पुत्र शंकर झा पर हमला केलक। अपराधी शंकर के गोली मारि कय गंभीर रूप सं घायल कय देलक। घायल युवक के इलाज़क लेल एकटा निजी अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि।

    घायल युवक शंकर के अनुसार, बृहस्पति दिन साँझ मे दस हजार रुपैया रंगदारी मांगने छल आ नहि देल पर मारिपीट कायल गेल छल। अहि दौरान अपराधी पिस्तौलक बूट सं मारि कय जख्मी कय देने छल। अहि मामला मे घायल युवक थाना मे मामला दर्ज करौने छल। जकरा बाद रंगदार फेर पचास हजारक रंगदारी आ केस हटेबाक धमकी देने छल।

    अपराधी विरोध करबा पर गोली मारि देलक। अहि मामला मे समस्तीपुरक सदर डीएसपी मो. तनवीर कहलनि जे, शंकर झा किछु दिन पूर्व आर्म्स एक्टक मामला मे जेल स बाहर आयल अछि। ओ दू पक्ष मे एकटा निर्माणाधीन बाउंड्रीक लेल विवाद हेबाक बात कहलनि आ रंगदारी मांगबाक बात स इंकार केलनि। ओ कहलनि जे, घटनाक पाछु जमीनी विवाद अछि।