16 साल पुरान केस मे दोषी करार देल गेलाह भाजपा नेता जितेंद्र स्वामी

    0
    257

    सीवान, मिथिला मिरर: अपहरण आ हत्याक एकटा 16 साल पुरान मामला मे भाजपा नेता जितेंद्र स्वामी के न्यायालय दोषी करार दैत जेल भेजबाक निर्देश देलक अछि। स्वामी पूर्व जदयू विधायक दामोदर सिंहक भाई भरत सिंहक अपहरण कय हत्याक मामला मे दोषी ठहराओल गेलाह। जितेंद्र के भेटय बला सजा पर 22 अगस्त क सुनवाई कायल जायत।

    सीवानक अपर जिला आ सत्र न्यायाधीश अवधेश कुमार दुबे ई फैसला सुनौलनि। विधानसभा चुनाव 2000 के प्रचारक दौरान महाराजगंज मे स्वामी पर भरत के अपहरण के बाद हत्या करबाक आरोप लागल छल।भरत के भाई विजय सिंहक बयान पर उमाशंकर आ स्वामी के विरुद्ध महाराजगंज थाना मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल छल।

    स्थानीय अदालत साक्ष्यक अभाव मे नामजद अभियुक्त के 2012 मे बरी कय देने छल। मुदा मृतकक परिजन निचला अदालत के फैसला के उच्च न्यायालय मे चुनौती देने छल। उच्च न्यायालय के आदेश पर निचला अदालत मे फेर सुनवाई शुरू भेल आ स्वामी के सजा देल गेल।