रविदिन वैदेही दिल्ली द्वारा मनाओल जाएत जानकी जन्मोत्सव

    0
    302

    दिल्ली-मिथिला मिररः रविदिन सनातनक परिचायिका मां जानकी जन्मोत्सव भारत राजधानी दिल्लीमे वैदेही नामक संस्थाक अगुआईमे मनाओल जाएत। गांधी स्मृति एवं दर्शन समितिमे आयोजित अहि कार्यक्रममे परिचर्चा, संगोष्ठी आ सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कैल जा रहल अछि। कार्यक्रमक पहिल सत्रमे उद्घाटनक अलावे संगोष्ठी एंव परिचर्चाक आयोजन कैल गेल अछि। कार्यक्रमक संचालन संस्कृतक विद्वान आ सेंट स्टीफेंस महाविद्यालयक एसोसिएट प्रोफेसर पंकज कुमार मिश्र करता, तहिना स्वागत अभिभाषण संस्थाक संस्थापक अमर नाथ झा द्वारा कैल जेतनि।
    कार्यक्रममे विद्यापतिक मिथिला एवं जानकी तथा स्त्री सशक्तिकरण एवं गांधी इत्यादि विषय पर परिचर्चा कैल जाएत। कार्यक्रमक मुख्य अतिथि गोवाक राज्यपाल मृदुला सिन्हा, विशिष्ट अतिथि राज्य सभा सांसद सह बीजेपीक राष्ट्रीय उपाध्यक्ष प्रभात झा, अतिथि विशेष देशक पूर्व गृह राज्य मंत्री सह आरा सं बीजेपी सांसद राज कुमार सिंह रहता। एकरा अलावे बहुत रास विशिष्ट व्यक्ति एवं विद्वान लोकनिक सहभागिता सेहो कार्यक्रम मे रहत।
    एकरा अलावे कार्यक्रममे भानू कला केन्द्र नेपालक सौजन्य सं सांस्कृतिक कार्यक्रम एवं नृत्य प्रस्तुतिकरण कैल जेवाक बात अछि। सांस्कृतिक कार्यक्रममे झिझिया, सामा-चकेवा, जट-जटिन, माझी इत्यादिक बाद संथाल आ पश्चिम बंगालक लोककला पर आधारित नृत्य देखवाक सेहो अवसर भेटत। कार्यक्रममे जलपान एवं रात्रि भोजक सेहो व्यवस्था कैल गेल अछि। कार्यक्रमक समापन पर धन्यवाद ज्ञापन मिथिला-मैथिलीक सेनानी अमित आनंदक रहतनि। कार्यक्रम दिनकें 02 बजे सं शुरू भय दू सत्रमे राइतकें 9 बजे तक चलत।