मुजफ्फरपुरमे चिटफंड कंपनी’क कार्यालय सील, क्षेत्रीय प्रबंधक गिरफ्तार

    0
    293

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: आरबीआइ आ सेबी (भारतीय प्रतिभूति व विनिमय बोर्ड) सं जरूरी लाइसेंसके बिना व्यापार करबाक मामलामे अमूल्य संचय प्रोड्यूसर कंपनी लिमिटेडके कलमबाग रोड स्थित कार्यालयकें सील कय देल गेल। ओतहि, कंपनीक जोनल प्रबंधक भवेंद्र कुमार सिंह समेत दू गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अछि। अहि मामलामे सीतामढ़ी दफ्तर सं सेहो चारि टा कर्मचारीकें गिरफ्तार कय जेल पठाओल गेल अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, दू दिन सं कंपनीकें मुजफ्फरपुर आ सीतामढ़ीक दफ्तरमे अधिकारीक टीम जांच कय रहल अछि। मंगलदिन अपर समाहर्ता सुशांत कुमार, एसडीसी बैंकिंग अनिल कुमार आर्या व थानेदार मिथिलेश कुमार झा’क संयुक्त टीम चिटफंड कंपनीके अघोरिया बाजार-कलमबाग रोड स्थित दफ्तर जांच करबाक लेल पहुँचल छल।

    जांचके समय ओतए कंपनीक अधिकारी नहि छल। संगहि, दफ्तर संचालित करबाक लेल निबंधन सेहो नहि छल। अन्य जरूरी कागजात सेहो नहि देखाओल गेल। अहिकें बाद बहुतो कर्मचारीकें हिरासतमे लेल गेल। अधिकारीकें थानामे उपस्थित हेबाक लेल कहल गेल। अहिंके बाद दफ्तरकें सील कय प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि।