मधुबनी मे 250 बोतल शराबक संग 2 गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    248

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के हरलाखी प्रखंड क्षेत्रक महादेवपट्टी तथा दिघिया टोल सं एसएसबी कैंप के जवान 250 बोतल शराबक संग दू गोट तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तार तस्करक पहिचान नेपाल के धनुषा जिलाक बेला गाम निवासी छेदी सहनी तथा हरलाखी थाना क्षेत्रक सोठगाम निवासी संजीत कुमार सहनी के रूप मे कायल गेल अछि।

    पिपरौन एसएसबी कैंप इंचार्ज वेद प्रकाश नौटियाल के अनुसार महादेवपट्टी कैंप के इंचार्ज पारितोष के नेतृत्व मे 90 बोतल तथा महादेवपट्टी कैंप के इंचार्ज सांगे के नेतृत्व मे 160 बोतल शराब जब्त कायल गेल अछि। ओ कहलनि जे, जब्त शराब तथा दूनू तस्कर के मधुबनी उत्पाद पुलिस के हवाला कय देल गेल अछि।