कुलपति’क सदबुद्धि के लेल छात्र द्वारा विश्वविद्यालय परिसर मे कायल गेल हवन

    0
    245

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति साकेत कुशवाहा के तानाशाह रवैयाक खिलाफ छात्र संगठक रोष दिनों-दिन बढिये रहल अछि। कुलपति के खिलाफ लगातार धरना आ प्रदर्शन केलाक बावजूद छात्रक प्रदर्शनक कुलपति पर कोनो असर नहि पड़ि रहल अछि। अहि के विरोध मे सोमदिन जनाधिकार पार्टीक छात्र संगठन विरोधक दोसर तरीका अपनौलक।

    कुलपति के सदबुद्धि के लेल श्यामा मंदिर मे प्रार्थना कायल गेल संगहि मंदिर प्रांगण मे हवन सेहो कायल गेल। छात्र लोकनि कहलनि जे, हम्मर मांग के अनदेखी करय बला कुलपति के आब भगवाने सदबुद्धि देथिन, ताकि कुलपति छात्र हित मे काज करैथ।

    छात्र नेता सोनू ठाकुर कहलनि जे, लगातार राजभवन स शिकायत केलाक बावजूद एखन धरि कुलपति पर कार्रवाई नहि कायल गेल, यैह कारण अछि जे, कुलपति के तानाशाही रवैया लगातार जारी अछि। हवन करय बला छात्र लोकनि चेतावनी दैत कहलनि जे, यदि पत्रकार स कुलपति सार्वजनिक रूप स माफ़ी नहि मंगताह त आंदोलन और उग्र होयत।