रामनवमीक़ शोभायात्राकें दौरान नीतीश कुमार आ गिरिराज सिंहक़ बीच बहस

    0
    487

    नवादा, मिथिला मिरर: बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ केन्द्रीय मंत्री गिरिराज सिंहक बीच राजनीतिक खटास वर्षो पुरान अछि। अहि बेर दुनू नेताकें एकटा कार्यक्रममे आमना-सामना भेल त दुनूक बीच खटास देखार भए गेल। रामनवमीकें मौका पर निकालल शोभायात्राक दौरान मंच पर दुनू नेताक बीच हल्का-फुल्का बहस भए गेल। बहसकें समय मंच पर गवर्नर रामनाथ कोविंद, साध्वी ऋतंभरा, शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी सेहो मौजूद छलाह। सब नेता अहि बहसकें सुनि हँसि रहल छलाह।

    मंच पर साध्वी ऋतंभराकें स्वागत करबाक लेल गिरिराज सिंह मंच पर पहुंचल छलाह, मुदा रामनवमीके मौका पर नवादामे भड़कल हिंसा पर ओ मुख्यमंत्री सँ सवाल पूछि देलाह। जाहि समय ई सब भेल ओहि समय अधिक हल्ला हेबाक कारण दुनूक बीचक बातचीत साफ-साफ नहि सुनल गेल।

    नवादामे दू समुदायक बीच रामनवमीक झंडा फाड़बाक बाद भेल हिंसक झड़पके बाद ओतय पहुंच गिरिराज सिंह कहने छलाह जे, यदि मुर्हरमकें जुलूस निकलैत अछि त रामनवमीक जुलूस कियैक नहि निकलि सकैत अछि? भाजपा नेता शहरमे भेल अहि हिंसक झड़प और तनावक लेल जिला प्रशासन आ राज्य सरकारकें दोषी ठहरेलनि अछि।