शिक्षा पदाधिकारी बीईओ लक्ष्मी साफी’क अध्यक्षता मे प्रधानाध्यापक के बैसक

    0
    307

    मधुबनी, मिथिला मिरर: प्रखंड मुख्यालय स्थित बीआरसी सभाकक्ष मे बिस्फी एवं चहुटा शैक्षणिक अंचल के प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी लक्ष्मी साफी के अध्यक्षता मे बैसक आयोजित कायल गेल। बैसक के शुरुआत तमिलनाडु के मुख्यमंत्री जयललिता के निधन पर शौक प्रकट करैत दू मिनटक मौन राखल गेल।

    बीईओ साफी मौजूद विद्यालय प्रधान के निर्देश दैत पुस्तक, छात्रवृति, पोशाकक राशी, शिक्षक दिवसक जमा राशी, अर्धवार्षिक मूल्यांकनक ग्रेडिंग प्रपत्र जमा करबाक, बाल पंजी इत्यादि मुद्दा के शीघ्र उपलब्ध करेबाक लेल कहलनि।

    ओ विद्यालय प्रधान के हिदायत दैत कहलनि जे, विद्यालय मे गुणवत्तापूर्ण शिक्षा देबाक जिम्मेवारी अछि। शिक्षक कतबो रसूखदार हो बख्शल नहि जायत। आयोजित बैसक मे बीआरपी क्रांति किसलय, सतीश झा, विकास ठाकुर एवं कमरे आलम के अलावा बहुओ स्कूलक प्रधानाद्यापक शामिल छलाह।