राजदेव रंजन हत्याकांडकें संदर्भमे सीवान जेल मे पुलिसक छापामारी

    0
    287

    दिल्ली-मिथिला मिररः हिन्दुस्तान केर सीवान ब्यूरो प्रमुख राजदेव रंजनक हत्याकांड सिलसिलामे बिहार पुलिस एखनो धरि अन्हारमे तीर चलेवाक पूर्ण कोशिश कऽ रहल अछि आ ओहमे एखन धरि पुलिसकें कोनो ठोस सफलता नहि भेटल अछि। बुधदिन सीवान पुलिस अहि सिलसिलामे सीवान जेल मे छापामारी केलक। जेल सं 8 गोट मोबाइल, दू टा चाकू सहित कतेको आपत्तीजनक सामग्री बरामद कैल गेल।
    एतबे नहि पत्रकार राजदेवक हत्याकांडमे बेर-बेर नाम अठि रहल पूर्व बाहुबली सांसद आ राजदक केन्द्रीय कमेटीक समदस्य शहाबुद्दीनक सेलमे सेहो छापामारी केलक। पत्रकार राजदेव रंजनक हत्याकांडकें लय बिहार सहित देशक पत्रकारमे बहुत बेसी आक्रोश देखल जा रहल छैक। इहै कारण अछि कि बिहार पुलिस आ बिहारक सरकारक लेल इ हत्याकांड कें सुलझायब एकटा चुनौती अछि।