70 सालक दुल्हा रचौलनि 20 सालक दुल्हिनक संग विवाह

    0
    348

    विवाहमे अमुमन गाजा-बाजा बजैत सहज रूप सं देखल जा सकैत अछि मुदा कोर्ट परिसरमे जौं लाठी लेने वृद्धकें ओ लड़की सहारा देने कोर्ट परिसर लय लेगीह जिनका सं हुनकर विवाह होइवला छल। जी हां इ घटना छल गया सिविल कोर्टक जाहिठाम 70 सालक दुल्हा बीस सालक दुल्हन सं विवाह करवाक लेल सिविल कोर्ट पहुंचल छलाह। घटनाका पता चलिते कोर्ट परिसरमे लोकक हुजूम लागि गेल।
    दसअसल बोधगया निवासी 70 सालक राम अशीष राय मंगलदिन वजीरगंजक 20 सालक लक्ष्मीक संग कोर्टमे विवाह करवाक लेल पहुंचल छलाह। पीयर रंगक तौनी ओढ़ने दुल्हा बाबू समस्त भीड़ सं अपन वैवाहिक जीवनक लेल आशीर्वाद देवाक लेल आग्रह करैत रहलाह। दुल्हा राम अशीष कहला जे ओ बेटा-पोता वला छथि मुदा पैछला साल हुनकर पत्नीक देहांतक बाद सं हुनका पुतौहू भोजन देवामे आना-कानी करैत छलथिन।
    भोजनमे होइवला दिक्कतक कारणें हुनका विवाह करय पड़लनि। जखन दुल्हिन सं अहि बातक बारेमे पूछल गेल जे हुनका हुनक पतिक उम्रक बारेमे जानकारी छन्हि त ओ कहली जे हुनका अहि विषयमे पूर्ण जानकारी छन्हि। लड़की कहली जे हुनकर माता-पिताक निधन भेलाक बाद ओ नाना-नानीक ओहिठाम रहैत छलीह आ आर्थिक तंगीक कारणें ओ अहि विवाहक लेल तैयार भेलीह। दुलहा-दुल्हन अहि विवाह सं प्रसन्न छलथि जखन कि आम लोकमे रोश देखल गेल।