कैमूर मे कुआं स निकलल जहरीली गैस, तीन लोकक मौत

    0
    272

    कैमूर, मिथिला मिरर: कैमूर जिलाक देवकली गाम मे जहरीली गैसक चपेट मे एबाक कारण मंगलदिन राति मे तीन लोकक मौत भय गेल। जहन कि तीन गोटे गंभीर रूप स बीमार भय गेलाह। सूत्रक अनुसार देवकली गाम मे एकटा कुंआ मे जहरीली गैसक रिसाव भेल।

    सूत्रक अनुसार घटना मे मारल गेल तीनू गोटे कुंआ स मोटर निकालबाक प्रयास कय रहल छलाह, आ कि तखनहि अचानक स डम घुटय लगलनि। फिलहाल पुलिस मामला के छानबीन मे जुटल अछि। मृतकक पहिचान देवकली गांमक जमुना कुशवाहा, धनंजय कुशवाहा आ चुनमुन राजभर के रूप मे भेल अछि। सब आपस मे संबंधी बताओल जा रहल अछि।