भाजपाकें नब गठबंधनक मुबारकबाद देलनि लालू यादव

    0
    436

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारमे महागठबंधकें टूटबाक संकेत भेटि रहल अछि। मंगलदिन आरजेडी प्रमुख लालू यादव धड़ाधड़ तीन टा ट्वीट कए बीजेपीकें नब गठबंधनक लेल मुबारकबाद देलनि। लालू कहलनि, बीजेपीकें नब अलायंस पार्टनर मुबारक हो। लालू प्रसाद झुकए आ डरए वला नहि। लालू कहलनि जे, जा धरि आखिरी सांस अछि फासीवादक खिलाफ लड़ैत रहब।

    लालू ई ट्वीट आईटी विभाग द्वारा कथित जमीन सौदाक मामलामे 22 ठिकाना पर छापाक कार्रवाईके बाद केलनि। हालांकि, राजनीतिक गलियारामे अलगावक चर्चाके बाद लालू पलटी मारि लेलनि आ एकटा  ट्वीट कए कहलनि बीजेपीकें अधिक लार नहि टपकेबाक चाही।

    ज्ञात हो कि, बीजेपी नेता सुशील मोदी सेहो ट्वीट कए कहलनि, ‘लालूजी बोया पेड़ बबूल का तो आम कहां से होय।’ सुशील मोदी लालू यादव आ परिवार पर जमीन सौदामे कथित घोटालाक आरोप लगा रहल छथि।