सातम वेतनमानकें नीतीश कैबिनेटक मंजूरी

    0
    278

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार कैबिनेट सातम वेतन आयोगक सिफारिश पर अपन मोहर लगा देलक अछि। मंगलदिन साँझ कैबिनेटक बैसककें दौरान अहि प्रस्ताव पर सरकारक मोहर लगाओल गेल।
    बैसकमे कुल 19 गोट एजेंडाकें पारित कएल गेल। अहि सं पहिने रविदिन सातम वेतनमान पर मुख्यमंत्रीकें रिपोर्ट देल गेल छल।

    सातम वेतन आयोगक सिफारिशकें कैबिनेटक मोहर लगेबाक बाद अब बिहारक साढ़े चारि लाख राज्य कर्मी आ साढ़े तीन लाख पेंशनधारीके वेतन आ पेंशनमे बढ़ोतरी भए जाएत।

    आब अहि वेतनमानके लागू भेला सं राज्यकर्मी आ पेंशनभोगीकें केंद्रक कर्मचारीके समान वेतन भेटए लागत। जानकारीके अनुसार अहि फैसला सं राज्यक कर्मचारीकें मौजूदा बेसिक वेतन बढ़ि कए 2.57 गुना भए जाएत। सातम वेतन आयोगक अनुशंसा सं राज्यकर्मीके वेतनमानमे पंद्रह सं बीस प्रतिशतकें बढ़ोतरी संभव अछि।