पुलिस एनकाउंटरमे मारल गेल मधुबनीक कुख्यात अपराधी रंजीत डॉन

    0
    347

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक कुख्यात अपराधी राजनगर प्रखंडक रंजीत महतो उर्फ रंजीत डॉन पुलिसक संग भेल मुठभेड़मे बुधदिन भोरे मारल गेल। जानकारीके अनुसार जयनगर थाना पुलिस आ एसटीएफ गुप्त सूचनाक आधार पर बुधदिन साढ़े तीन बजे जयनगरक डोरवार पंचायत अंतर्गत गोबराही गाम स्थित रामबाबू यादवकें ईंटा भट्ठा पर रंजीतकें घेर लेलक आ मुठभेड़मे मारि देलक। ओकरा संग सं पुलिस एकटा कार्बाइन, एकटा पिस्टल, तीन-चारिटा मोबाइल फोन बरामद केलक अछि।

    अहि सं पूर्व ओकर संगी पांच हजारक इनामी बालाजी मिश्रकें सेहो मंगलदिन पुलिस द्वारा गिरफ्तार करबाक बात कहल जा रहल अछि। हालांकि पुलिस अधिकारी एखन एकर आधिकारिक पुष्टि करबा सं मना कए रहल अछि। 

    ज्ञात हो कि रंजीत महतो आ बालाजी मिश्र पर हत्या, लूट एहेन बहुतो मामलामे संलिप्तताक बात पुलिस रिकॉर्डमे अछि। 28 अप्रैल कए खजौली पेट्रोल पंप पर तीन थाना पुलिसक मौजूदगीमे मोटरसाइकिल सं पहुंचकए अंधाधुंध फायरिंग करैत आ अपन नामक पर्चा फेंक कए दुनू भागल छल।

    8 फरवरी कए जयनगरमे पंचायत समिति सदस्य सत्तन झा पर जानलेवा फायरिंग करबाक मामलामे सेहो रंजीत गैंगक नाम आएल छल।