झारखंड मिथिला मंचक तत्वावधान मनाओल गेल कर्पुरी ठाकुर’क जयंती

    0
    273
    दिल्ली, मिथिला मिरर: झारखंड मिथिला मंचक तत्वावधान मे जननायक कर्पुरी ठाकुर के जयन्ती मनाओल गेल। अहि अवसर पर मंच द्वारा दू गोट कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल। झारखंड मिथिला मंच के युवा प्रकोष्ठक स्वयंसेवक द्वारा अपराहन दू बजे राँची के हीनू स्थित जननायक कर्पुरी ठाकुर के प्रतिमा पर माल्यार्पण कएल गेल। अहि अवसर पर गोपाल नंद झा, शैलेस झा, विकास सिंह, कन्हैया झा, किशोर, सुनील यादव एवं अन्य स्वयं सेवकगण उपस्थित छलाह।
    जननायक के प्रतिमा पर माल्यार्पण के उपरान्त शैलेस झा जननायक के विषय पर विस्तार स प्रकाश देलाह। संध्या काल मंच के कार्यालय मिथिला दलान पर बिनय कुमार खाँ के अध्यक्षता मे एकटा सभाक आयोजन कायल गेल छल। अहि अवसर पर मंच के वरिष्ठ स्वयं सेवकगण उपस्थित छलाह। जननायक के फोटो पर पुष्पाँजलि अर्पित कायल गेल आ जननायक के व्यक्तित्व एवं कृतित्व पर प्रकाश देल गेल।
    डा. कृष्ण मोहन झा हुनक जीवनी पर प्रकाश देलाह। बिनय कुमार खाँ संबोधित करैत कहला जे जननायक कर्पुरी ठाकुर गरीब गुरबा के उपर उठबै मे महत्वपूर्ण भूमिका निभेलाह संगहि मैथिली के शिक्षा व्यवस्था मे सम्मिलित केलाह। संतोष झा सभा के संचालन केलनि संगहि गरीबक हित मे जननायक द्वारा कएल काज के विषय मे विस्तृत जानकारी देलाह।
    अहि अवसर पर अमर नाथ झा, ब्रम्हानंद झा, पुण्यानंद झा, सतीस झा, कमल देव मिश्र, मोहन झा “वैदिक” पुण्यानंद झा, सुधीर ठाकुर, प्रदीप चौधरी, बीएन ठाकुर नंदु बाबु आदि उपस्थित छलाह।