डीआरएम केलनि दरभंगा रेलवे स्टेशनक निरिक्षण, अधूरा काज जल्दी पूरा करबाक देलनि निर्देश

    0
    277

    दरभंगा, मिथिला मिरर: समस्तीपुर रेल मंडलक डीआरएम सुधांशु शर्मा शनिदिन दरभंगा जंक्शन कें औचक निरीक्षण केलनि। ओ पूर्व-मध्य रेल हाजीपुरक महाप्रबंधक डीके गायने के 18 फरवरी कय प्रस्तावित वार्षिक निरीक्षणक तैयारीक जायजा लेबाक लेल पहुंचल छलाह। ओ स्थानीय अधिकारी सं बहुतो जानकारी लेलनि। डीआरएम निर्माणाधीन रेलवे कॉलोनीक निरीक्षण केलनि। अहि दौरान ओ संवेदक के दू दिनक भीतर सबटा अधूरा काज करबाक निर्देश देलनि।

    ज्ञात हो कि महाप्रबंधक अप्पन वार्षिक निरीक्षणक दौरान अहि कॉलोनीक उदघाटन करताह। अहिके देखैत डीआरएम अधूरा काजक ससमय पूरा करबाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे, जीएम के आगमन के देखैत रेल कर्मी व अधिकारी के दू सं तीन दिनक अंदर सब समस्या के दूर करबाक निर्देश देलनि।

    ओ रेलवे अस्पतालक स्थिति मे सुधार अनबाक लेल कहलनि तथा प्लेटफार्म संख्या एक के निरीक्षण कय शेड के उपर लटकल तार के ठीक करबाक आदेश देलनि। संगहि उत्तरी दिशा मे स्थित शीतल पेयजल नल के हटाकय समान्य नल वला यूनिट मे लगेबाक आदेश देलनि।